Posts

सोमवार, 10 नवंबर 2014

दरभंगा मे खुलत इलेक्ट्रॉनिक कलस्टर

दरभंगा मे खुलत इलेक्ट्रॉनिक कलस्टर
बिहार सरकार देत जमीन
सीतामढ़ी, बोधगया आ राजगीर बनत वाई-फाई फ्री सिटी
दरभंगा आ भागलपुर मे टेक्नोलॉजी पार्क लेल भेटल जमीन
मुजफ्फरपुर आ बक्सर मे नाइलेट
सॉफ्टवेयर टेक्नोलॉजी पावर्स ऑफ 
इंडियाक इन्क्यूवेशन सुविधा क शिलान्यास
.....................................

मुकेश झा
नयी दिल्ली
दरभंगा टाइम्स 
............................
केन्द्रीय सूचना प्रावैधिकी मंत्री रविशंकर प्रसाद कहला अछि जे बिहार मे इलेक्ट्रॉनिक कलस्टर खुलबा लेल केंद्र सरकार तैयार अछि। बिहार सरकार अगर पचास एकड़ जमीन देत त शीघ्र इलेक्ट्रॉनिक कलस्टर एहि ठाम खोलल जायत। हम एहि माध्यम स दू करोड़ युवा कए इलेक्ट्रॉनिक सेक्टर मे रोजगार द सकैत छी। एकरा लेल दरभंगा समेत किछु जिला मे जमीन ताकल जा रहल अछि। ओना बिहार सरकार दरभंगा आ भागलपुर मे टेक्नोलॉजी पार्क लेल जमीन उपलब्धा करा देलक अछि आ बहुत जल्द दूनू ठाम पार्क क निर्माण शुरू भ जाएत। ओ कहला जे मुजफ्फरपुर आ बक्सर मे नाइलेट क केन्द्र खोलबाक निर्णय लेल गेल अछि। श्री प्रसाद कहला जे बिहार मे कम स कम 10टा बीपीओ सेन्टर खुलबाक तैयारी अंतिम चरण मे अछि। श्री प्रसाद शनिदिन सॉफ्टवेयर टेक्नोलॉजी पावर्स ऑफ इंडिया, पटना क केन्द्र मे नव इन्क्यूवेशन सुविधा क शिलान्यास करबाक बाद सभा कए संबोधित क रहल छलाह। ओ कहला जे राजनीति मे आरोप- प्रत्यारोप होइत रहैत अछि मुदा बिहार क विकास क मुद्दा पर हम सब एक छी। बिहार लेल हम कईटा आओर योजना सोचने छी जाहि पर मुख्यंमंत्री स चर्चा भेल अछि। मुख्यमंत्री एहि लेल सब प्रकारक मदद देबाक आश्वासन देलथि अछि। ओ कहला जेना वाजपेयी क सरकार हाई-वे लेल जानल जाइत अछि तहिना मोदी सरकार इन्फॉरमेशन हाई-वे लेल जानल जाएत। एहि अवसर पर मुख्यमंत्री जीतनराम माझी कहला जे चाहे इन्फ्रास्ट्रक्चर या जमीन जेकर जरुरत अछि, बिहार सरकार ओ उपलब्ध करेबा में पाछु नहि रहत। ओ कहला जे बिहार क सबटा जिला कए ई-डिस्ट्रिक्ट क रूप मे परिणत कैल जाएत। माझी पुरान भ चुकल आईटी नीति क समीक्षाक सेहो गप केलथि। राज्य क सूचना प्रावैधिकी मंत्री शाहिद अली खाँ कहला जे दुनिया मे सबस लंबा फ्री वाई-फाई क्षेत्र पटना शहर मे अछि। बोधगया, राजगीर आ सीतामढ़ी सेहो वाई-फाई फ्री होएत। बिस्कोमान कए आईटी पार्क घोषित कैल जा चुकल अछि ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें